बाबा हो बाबा की लिख ल कपार में Lyrics, Video, Bhajan, Bhakti Songs
बाबा हो बाबा की लिख ल कपार में Lyrics, Video, Bhajan, Bhakti Songs

बाबा हो बाबा की लिख ल कपार में लिरिक्स

Baba Ho Baba Ki Likhla Kapar Me

बाबा हो बाबा की लिख ल कपार में लिरिक्स (हिन्दी)

बाबा हो बाबा की,
लिख ल कपार में,
सहब कतेक दुख,
हम संसार में,
डुइब जेतई दुनिया हमर,
नोरक धार में,
बाबा हौ बाबा की,
लिख ल कपार मे।।

दोष हमर की भेलई,
किछ न जनै छी,
कोन जनम के,
पाप कटे छी,
किरपा आँहा से बाबा,
मांगे छी उधार में,
बाबा हौ बाबा की,
लिख ल कपार मे।।

आब ने मनोरथ कोनो,
ने कोनो सेहंता,
दुनिया में एलो कोन,
लागल अदीनता,
ओझरायल प्राण हमर,
बीपत के जल में,
बाबा हौ बाबा की,
लिख ल कपार मे।।

सच्चिदानंद ई,
वेदना लिखइए,
पुत्र तोहर ई बाबा,
विनती गबइए,
तेजब प्राण बाबा,
तोहर दरबार में,
बाबा हौ बाबा की,
लिख ल कपार मे।।

बाबा हो बाबा की,
लिख ल कपार में,
सहब कतेक दुख,
हम संसार में,
डुइब जेतई दुनिया हमर,
नोरक धार में,
बाबा हौ बाबा की,
लिख ल कपार मे।।

बाबा हो बाबा की लिख ल कपार में Video

बाबा हो बाबा की लिख ल कपार में Video

गायक अरविन्द सिंह।
प्रेषक हेमंत झा प्यासा।
9831228059

Browse all bhajans by Arvind Singh
See also  बेड़ो पार करे भक्ता Lyrics | Bhajans | Bhakti Songs

Browse Temples in India